Aacharya Ramanath Jha Rachnawali (5 Volume Set) (आचार्य रामनाथ झा रचनावली (5 खण्ड का सेट))
Ships in 1-2 Days
Choose a Book cover type:
Secure Payment Methods at Checkout
- ISBN: 9789350002100
- Binding: Paperback
- BISAC Subject(s): Autobiography
- Publisher: Vani Prakashan
- Publisher Imprint: Vani Prakashan
- Release Year: 2010
- Pages: 16
- Original Price:Rs. 5,000.00
- Language: Hindi
"एहि में विद्यापति सँ सम्बद्ध रचना अछि। विद्यापति मैथिलीक कालजयी रचनाकार छथि। आचार्य रमानाथ झाक सर्वाधिक प्रिय कवि । तेँ विद्यापतिक कविते पर नहि, हुनक सभ कृति पर ओ विचार कयलनि अछि। विद्यापतिक प्रसंग आचार्य रमानाथ झाक सम्पूर्ण लेखन एहि खण्ड में संगृहीत अछि । विद्यापति केँ बुझबाक लेल ई आधार प्रस्तुत करैत अछि। आँखि दैत अछि।
प्रस्तुत खण्ड मैथिली साहित्य सँ सम्बद्ध अछि। मैथिली साहित्यक इतिहास, साहित्य-लेखनक स्थिति आ विकासक दिशा, शोध आ समीक्षाक माध्यम सँ रचना ओ रचनाकार केँ बुझबाक सामर्थ्य – एहि खण्डक खास विशेषता थिक । आचार्य रमानाथ झाक दृष्टि साहित्यक अतीत आ वर्त्तमान पर जतेक छनि ताहि सँ बेसी ओकर भविष्यक लेल ओ आकुल-व्याकुल छथि ।
तेसर खण्ड मे आचार्य रमानाथ झा लिखित मिथिला ओ मैथिली भाषा विषयक रचना अछि। साहित्यक अध्ययन आ लेखन ताधरि संभव नहि अछि जाधरि भूगोल, माटि-पानि, समाज आ ओकर संस्कृति, अर्थ-व्यवस्था एवं शासन-प्रशासन केँ हृदयंगम नहि कयल जायत। मिथिला जनपद आ एकर भाषिक स्थितिक इतिहास एवं वर्त्तमान पर आचार्य रमानाथ झाक विचार-विमर्श एहि खण्डक विषय-वस्तु अछि ।
खण्ड चारि मे आचार्य रमानाथ झाक विविध लेखन संकलित अछि । जेना, हुनक बाल-साहित्य । किन्तु, एहि मे हुनक उद्यन-कथा, वररुचि-कथा एवं अलयीकुल-प्रकाश नामक महत्त्वपूर्ण पोथी सेहो सम्मिलित कयल गेल अछि । आचार्य रमानाथ झाक कथाकार कथाकार तथा शोध- अनुसंधानकर्ताक परिचय एहि सँ प्राप्त होइत अछि । दुनू कथा - पोथी हुनक संस्कृत भाषा-साहित्यक अध्ययन अनुशीलनके साकार करैत अछि। गुरु गोविन्द सिंह अनुवाद-कृति - थिक । विषय-वस्तुतँ सहजेँ, एकर भाषा-प्रवाह सेहो मुग्धकारी अछि ।
ई खण्ड संस्कृत भाषा - साहित्यक रचना पर केन्द्रित मिथिलाक तंत्र-साहित्यक सम्पादन- क्रम मे लिखित भूमिकाक संकलन थिक । एहि सँ पोथीक महत्ताक ज्ञान होइत अछि । पुरुष-परीक्षाक अनुवाद मैथिली मे तँ अछिए, किछु कथाक अंग्रेजी अनुवाद सेहो अछि । कालिदास रचित 'अभिज्ञान शाकुन्तलम्' मैथिल-पाठ पहिल बेर प्रकाशित भेल अछि ।"
Author information not available.
Trusted for over 24 years
Family Owned Company
Secure Payment
All Major Credit Cards/Debit Cards/UPI & More Accepted
New & Authentic Products
India's Largest Distributor
Need Support?
Whatsapp Us
Bestselling
View All
₹178
₹200
(-
11
%)
₹623
₹700
(-
11
%)
₹456
₹495
(-
7
%)
₹1602
₹1800
(-
11
%)
₹428
₹480
(-
10
%)
₹979
₹1100
(-
11
%)
₹1335
₹1500
(-
11
%)
₹557
₹625
(-
10
%)
₹579
₹650
(-
10
%)
₹579
₹650
(-
10
%)
₹890
₹1000
(-
11
%)
₹445
₹500
(-
11
%)